
काठमाण्डू : राष्ट्रीय स्वतन्त्र पार्टीक अध्यक्ष रवि लामिछानेकेँ पुलिस पकड़ने अछि। सूर्यदर्शन सहकारीक पाइ दुरुपयोग करबाक आरोप मे जाँच करबाक लेल कास्की जिला न्यायालय पुलिसकेँ अनुमति देलाक बाद लामिछानेकेँ रास्वपा पार्टी कार्यालय बनस्थली सँ पकड़ल गेल अछि।
सूर्यदर्शन सहकारीक संस्थापक अध्यक्ष जीबी राई संगे मिलि कऽ लामिछाने गोरखा मीडिया नेटवर्क मे पाइ आनि कऽ दुरुपयोग कएने छथि, एहि मामला मे जिला पुलिस कार्यालय कास्की जाँच कऽ रहल अछि।
पकड़ल जएबाक पहिने पार्टी कार्यालय मे कार्यकर्ता आ पत्रकार सभक संग प्रतिक्रिया दैत लामिछाने कहलनि जे ओ कोनो अपराध नहि कएने छथि, मुदा राजनीतिक प्रतिशोध लेबाक लेल हुनका फँसाओल जा रहल अछि। ओ न्यायिक प्रक्रिया मे सहयोग करबाक प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त कएलनि। राजनीतिक पूर्वाग्रहक विरुद्ध खुलि कऽ लड़बाक हुनक कथन छलनि।
अपन सम्बोधनक बाद रवि पार्टी कार्यालय मे राखल घंटी बजा कऽ पुलिसक समक्ष अपनाकेँ समर्पित कऽ देलनि। पकड़लाक बाद हुनक कार्यकर्ता सभ सरकारक विरुद्ध नाराबाजी कएने छल। पूर्व डीआईजी छविलाल जोशी, राई आ लामिछाने द्वारा संचालित गोरखा मीडिया नेटवर्क विभिन्न सहकारी सँ ६५ करोड़ ५४ लाख टाका अवैध तरीका सँ आएल अछि, ई सूर्य थापाक नेतृत्व मे बनल संसदीय जाँच समितिक निष्कर्ष अछि।